कोरोना के लेल हमर लिखल माई स विनती

हे मैया आइब गेलई ई कोरोनमा ना,
तोहर संतानक दुश्मनमा ना।।

सब लोक के देलक डराय,
सबके क देलक असहाय।
सगरो दुनिया में ई पसरनमा ना,
तोहर संतानक दुश्मनमा ना।।

लोक के केलक लोक स दूर,
घर बैसअ लेल सबके मजबूर।
लोक के बांधि रहल बन्धनमा ना,
तोहर संतानक दुश्मनमा ना।।

ई त लेलक कतेक प्राण,
सगरो जग के केलक हैरान।
दुर्लभ भ गेल तोहर दर्शनमा ना,
तोहर संतानक दुश्मनमा ना।।

हे मैया,एकरा दियौ भगाय,
एकरा ऊपर बज्जर खसाय।
लोक त करत अहि के पूजनमा ना,
तोहर संतानक दुश्मनमा ना।।

✍️ सुमन

Comments

Popular posts from this blog

भारतीय संविधान में शिक्षा सम्बन्धी प्रावधान (Educational Provisions in Indian Constitution)

आगमन तथा निगमन विधि

CUMULATIVE RECORDS (संचित अभिलेख)